भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"अपन अधिकार / कालीकान्त झा ‘बूच’" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
17:33, 2 सितम्बर 2014 के समय का अवतरण
काननक गाम
कंदराक कक्ष!
उत्तापक सोइरी
ताहि मे-
तोहर कानब के सुनतह?
हे ल'व हे कु'श,
उठह उठह आ -
आदिकाव्यक एहि करुण कथा केँ
गाबि -गाबि क' सुनबह एहि समग्र संसार केँ
हे वनवासी,
राजाक अत्याचार पर
जनपदक व्यवहार पर
वीरत्वक सम्मानक लेल
क्षेत्रीय उत्थानक लेल !
मैथिलीक त्राणक लेल
भरथ-रिपुसूदन सँ
लखन विभीषण सँ
वालिपुत्र वानरराज वातजातक वाते की!
भीड़ि जाह वाह!वाह त्रिभुवनक ताते सँ
मिथिलाक भागिन भगवानो सँ भीड़ि क'
पबैत छैक विक्ट्री
कहैत छिय'ह ह'म नहि नहि
इंडियन अन्सिएंट हिस्ट्री