भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"होरी / शिव कुमार झा 'टिल्लू'" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पन्ना बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
15:29, 21 सितम्बर 2014 के समय का अवतरण
हाथ अबीर कांख पिचकारी
भाल पर गदरल चाह उमंग
पूरन भैया होरी खेलथि
नव नौतारि सारि केर संग
कखनहुँ डुबकी लैत अधर मे
जुट्टी मे कखनहुँ हिलकोर
नील, वैंजनी लाल गुलाल सँ
रंगलनि चम्पाक पोरे- पोर
‘टिल्लू’ नयन पर अचरज पसरल
देखि भ्राता केर बसन्ती वुन्न
एखनहुँ श्रृंगारक आह भरल मुदा-
आँखि अन्हार कान छन्हि सुन्न
हऽम पुछलअनि कोना कऽ कयलहुँ
मधु सँ उबडुव मधुरक प्रबंध
सकल तन अछि बेकार मुदा हम
ध्राण शक्ति सँ सूॅघल गंध
भौजी लऽ वाढ़नि आ खापड़ि
झाड़ि देलनि भैया केर अंग
कुरता फाटल नयन नोरायल
भूतल खसल होरी के रंग