भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
"हमर कनही कोशी / कालीकान्त झा ‘बूच’" के अवतरणों में अंतर
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
15:31, 28 सितम्बर 2014 के समय का अवतरण
कोशीक कात छल,
वरखा वसात छल!
भादवक मास धार
ठाढ़ उमरल छल
हाहि मारि मारि
घ'र गाम केँ उजाड़ि
सभ ठाम केँ संहारलि
"हमर कोशी कनही "
पथारक पथार
लागि लाशक कतार
ताहि सँ दू नेही
ओझरायल झौआ मे
सुन्नर -सुन्नर परम सिनेही
एक नारी दोसर नर
कि उजड़ल आँचर लग
उपटल आँखि छल!!!