"पंचतत्त्व / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’" के अवतरणों में अंतर
Sharda suman (चर्चा | योगदान) ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया) |
(कोई अंतर नहीं)
|
23:28, 14 मई 2015 के समय का अवतरण
एक समय जड़ जगत बीच जे पंच तत्त्व विख्यात
क्षिति जल पाबक पवन गगनमे उठल कलह केर बात
बाजलि पृथ्वी हम पृथुला, चल अचल हमर दुहु नाम
धन-धान्य क जननी हम, हमरहिसँ भौतिक सुखधाम
पालन करी जगत केँ जनम-मरन हमरहि सुख-अंक
सर्वसहा हमहि ककरा नहि क्षमा करी निःशंक’
गरजल जलद-पटल,- ‘यदि नहि जल दी की किछु उपजैत?
रुख-सुख जगती बनइत, सरस न कखनहु रसा रहैत’
सनसन बहइत दौडत्रल कहइत पवन गरजि गंभीर
हमहि बहन कय उमड़बइत छी नभ बिच जत घन नीर
तपन तपित मन किरन पसारि कहल, सभ हमर प्रभाव
आलोकित जग, उष्णताक बल प्राणी जीवन पाव’
नील गगन चुप रहल न, बाजल करइत शब्द उचार!
‘आकाश न अवकाश दितय तँ होइत न रवि सचार
नहि मेघ क प्रचार, नहि धरती धरइत जीव अशेष
पबनहु धरि नहि गति पबइत पुनि रहइत कत के शेष’
-- -- --
चेता गेल चेतना चितगत पंच तत्त्व परिभूत
यदि चैतन्य न रहत जगत जड़ व्यर्थ अर्थ अनुभूत