भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"युवा लेल संकल्प / नारायण झा" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नारायण झा |अनुवादक= |संग्रह=प्रति...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
(कोई अंतर नहीं)

03:02, 6 अक्टूबर 2015 के समय का अवतरण

जँ अछि भुजा मे ताकत
क्रांतिक बीया रक्त-कण मे
मनुज ओ जे मनुजत्व सँ
खलबली अन्तर्मन मे।

संगोर केने सभ गुण केँ
तकरा के डिगा सकत
जे संकल्प लेल जीवनक लेल
कोन बिपत्ति आगू आबि सकत।

आगू अमृत की गरल सदृश
भाल नहि झुका सकत
जे अडिग रहत निज पथ पर
ओ दूभि मे सुमन फूला सकत।

अनवरत पथिक जकाँ बढ़ैत
चढ़ि क' हिमालय रहत
पथभ्रष्ट नहि होयत प्राण संकटो
चढ़ि हिम्मत देखा छोड़त।

बाट कतबो रहय काँट
बीछि आगू बढ़ैत रही
रक्तक कण-कणक शपथ
खा गजक मस्तक पर चढ़ैत रही।

मृत्यु देखाय पाँजर मे
निर्भय बनल अड़ल रही
गीत जुआनीक गाबि
भरि जगक जन केँ जगबैत रही।