भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अकाल / कालीकान्त झा ‘बूच’

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:06, 18 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

ई अकाल नहि, महाकाल अछि
भूखक ऊक बान्हि नाड़रि सँ
चारे पर ठोकैत ताल अछि...

फूके सँ पताल खड़ङौलक
अनावृष्टिक आगि लगौलक
एहि मंहगी क प्रचंड पसाही सँ-
उनचास बसात जगौलक
हे देखह जड़ि रहल गाम घर
आकाशे भऽ गेल लाल अछि...

भारत आइ भेल अछि लंका
बजि रहल अछि मरणक डंका
बाॅचि सकत एहि वेर विभीषणक
कुटी अछि बड़का शंका
डोरि-डोरि सँ बान्हल,
एहि वेरूक विभीषणक मुंडमाल अछि...

आंगन-आंगन हैया दैया
बहिनक कोर मरै छथि भैया
पूत परेम छाड़ि धरती केॅ
भरि-भरि कऽ धरै छथि मैया
वीसहुँ आँखि ओनारि दसानन
घुटुकि घुटुकि हिलवैत भाल छथि...