भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
देखलौंमे राति सपनमा हो राम / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 20:46, 1 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=ऋतू ...' के साथ नया पन्ना बनाया)
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
देखलौंमे राति सपनमा हो राम
समरिया आयल
सूतल छलौं विरहिनि हम सखिया
देखल श्याम मोहनमा हो रामा
चौंकि उठल तन मिलल ने मोहन
भरि आयल नीर नयनमा हो रामा
चैतक चन्दन कुसुमित कानन
दैव देलनि दुख दिनमा हो रामा
दुख मोहन मधुमास ने आयल
तेँ हम तेजब जीवनमा हो रामा