भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
ससरि चललि सभ सखिगण ना / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:49, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=विवि...' के साथ नया पन्ना बनाया)
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
ससरि चललि सभ सखिगण ना
गड़ल कुसुम शर भरि तन ना
उठइत उठल चलल नहु ना
बिहुँसि लगाओल पट पहु ना
धय दय उठल कदलि हिय ना
परसय कर पहु नहु नहु ना
देलक बैसाय निकट निज ना
उगला मुहजरू मनसिज ना
आध नयन हम देखल ना
नेह पाश लय बेढ़ल ना
दुहुक हृदय दुहु काढ़ल ना
नेह लता पुन बाढ़ल ना
अंकमे गहि पहु पूछल ना
छन हुलसय छन रूसल ना
आँचर भाँगि धयल कर ना
बल कय सभ मति हरलक ना
आध अंग बनि सुतलहुँ ना
केहन बिरह बिसरलहुँ ना
कुमर कमल पर अलि बसु ना
पीबि भ्रमर सूतल रस ना