Last modified on 15 मई 2015, at 18:03

मोह-भंग / कृष्णावतरण / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:03, 15 मई 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

एमहर सुर बिच एखनहु मन संदेह-रेह नहि मेटा सकल
करिअ परीक्षा, विष्णु स्वयं की कृष्ण रूप अवतर भूतल
अथवा गोपकुमार नन्द-नन्दन छथि सहजहि मनुज समक्ष
विधिहुक भ्रम जमले नहि छँटले, जा धरि नहि प्रमाण प्रत्यक्ष
किछु तनिकहु सन्देह हरल हरि मायामय लीला विस्तारि
सुरपति इन्द्रहुधरि मोहक अछि पसरल जाल विशाल विचारि
अग्नि-कुबेर-वरुणहुक परिजनमे किछु-किछु छापल सन्देह
किन्तु दिनपतिक ताप-तेज की छापि सकत घन कन वा खेह