भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
पूजा-पाठ आ आडम्बर / नारायण झा
Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:59, 6 अक्टूबर 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नारायण झा |अनुवादक= |संग्रह=प्रति...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
कतबो करथि पूजा पाठ
कतबो करथि भजन कीर्तन
नहि भेटैत छनि ईश्वर
जेना लगैछ सभटा आडम्बर
घुमा-फिरा क' मनबुझाओल बात।
ललाट पर चानन घँसैत
दिन-राति माला फेरैत
माला हाथ मुदा मन भटकैत
सय-सय केँ गिनती जुड़ैत
मुदा नहि एको आना पुरैत।
भगवान बसथि अपने मन मे
गरीब-गुड़बाक मैल चिक्कट तन मे
नांगट उघाड़ केँ झाँपि क'
भूखलकेर क्षुधा मेटा क'
देवता द्रवित हेताह एहि मे।
फूसि केँ छोड़ि कोठी कान्ह पर
साँच केँ जगा दिऔ
अचेत केँ चेता दिऔ
सचेत केँ बढ़ा दिऔ
ई भेल ठीके सभ सँ ऊपर।
पूजा होइछ शुद्ध मोन सँ
धरम अरजू चुपचाप सेवा सँ
ने अकड़ि क', ने डंका बजा क'
ईश्वर भेटताह, अवश्ये भेटताह
करू पूजा पखारल हृदय सँ।