Last modified on 5 मार्च 2017, at 14:37

अर्थ / शारदा झा

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:37, 5 मार्च 2017 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शारदा झा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMaithiliR...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

शब्द ताकि रहल अछि
अपन अस्तित्वक यथार्थ
अपन मौलिक अर्थ
जे मिज्झर भ' गेल अछि
रंग बिरंगक व्याख्यानक बीच कतहु
शब्द भ' जाइत अछि हीन
जखन सामना होइत छै ओकर
निस्तब्ध निराकार निःशब्द शांति सँ
मौन बाँचल रहि जाइत अछि
गुंजायमान भ' अनन्त मे
प्रकाशपुंजक आभास अंतस के जगा
मुनि सम भ' जेबाक इच्छा छै शब्दक
खनक' लगैत छइ इजोत
ओकर सर्वस्व के झाँपि क'
क' लइत छै अपना मे समाहित
शब्द हेरि लैत अछि
शब्दहीनता मे अपन सार्थकता
सबसँ बेसी जागृत भाव
ओंमकारक नाद तक
ध्वनि मात्र हृदयक स्पंदनक
मौनक भाषा सबसँ प्रखर होइत अछि