भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
बड़ रे जतनसँ सिया धिया पोसलहुँ / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:37, 19 सितम्बर 2018 का अवतरण
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
बड़ रे जतनसँ सिया धिया पोसलहुँ
सेहो रघुवंशी नेने जाय
आगू-आगू रघुबर, (पाछू-पाछू डोलिया)-2
ताहि पाछु लक्षुमन भाय
कथी केर डोलिया, केहन ओहरिया-2
कि लागि गेल बतिसो कहार
चनन केर डोलिया, (सबुज ओहरिया)-२
कि लागि गेल बतिसो कहार...
लऽ दऽ निकसल (विजुबन कहरिया)
जाहि वन ने अपन पराए
केओ जे कानय राजमहल मे
केओ कानय दरबार
केओ जे कानय मिथिला नगर मे
जोड़ीसँ बेजोड़ी केने जाय
अम्मा जे कानय राजमहल मे
बाबा कानय दरबार
सखी सब कानय मिथिला नगर मे
जोड़ीसँ बेजोड़ी केने जाय